Showing posts with label लोरी. Show all posts
Showing posts with label लोरी. Show all posts

Friday, May 1, 2009

लोरी (दूनू बेटा के लेल)

लोरी


तोरे लेल अनलहुँ हाथी घोड़ा ,
कनिया पुतराक जोड़ा ,
हमर बौआ, हमर बेटा,
बेटा दुलरुआ.... ।


चम चम चम चम, छम छम छम छम,
एतय निनियाँ रानी,
कोरा मे लs कs झुला झुलौतै,
चानक भरल जुआनी।
तोरे लेल अनलहुँ चान सन मामा,
नभ केर सबटा तारा,
हे रे बौआ, हे रे बेटा, बेटा दुलरुआ .....।


खट खट खट खट लाठी लs क s
एथिन्ह बुढ़िया नानी ,
नानीक कोरा मे, बैसि कs सुनतै,
रामक अमर कहानी।
तोरे लेल अनलहुँ सीता मैया,
राम लखन सन जोड़ा,
हे रे बौआ हे रे बेटा, बेटा दुलरुआ.... ।


पढ़तय लिखतय बढ़तय उड़तय,
उड़य छय जेना आँधी ,
देशक नाम खूब बढौतय,
बनतय नेहरू गांधी।
तोरे लेल अनलहुँ तिरंगा झंडा,
माँ भारत केर नक्शा,
हे रे बौआ हमर बेटा बेटा दुलरुआ..... ।


-लल्लन प्रसाद ठाकुर-