Friday, May 15, 2009

मैथिली गीत

मैथिली गीत


मोन ने लागय अहाँ बिना,
चैन न आबय निश दिना,
मोन ने लागय ............... ।

बीतल दिन सब मोन परैया
रही रही कs हिय चिहुँकी उठैया,
सपना छल जे टूटि गेल अछि,
बिसरब हम कोना ........
मोन ने लागय .......... ।

घनघोर घटा छायल छल नभ मे,
पायल छल अहाँ पग मे,
छम छम छम छम बाजी रहल छल,
थिरकय मोर जेना,
मोन ने लागय................. ।

जीवन हम बितायब सँग सँग,
वचन अहाँ स लेने रही हम,
बैरी जग के नीक ने लगलय,
पनिसोखी के मेघ जेना,
मोन ने लागय अहाँ ........... ।

-लल्लन प्रसाद ठाकुर-

No comments: