Wednesday, January 18, 2012

हे रे चन्दा


"हे रे चन्दा"

हे रे चन्दा लेने जो सनेस पिया परदेश रे..........चन्दा....।
तोहें ने उगै छ आन्हर राति
बिसरल रहै छी पिया केर पाँती
तोंहे जाँ उगै छ दीया बाती दीया बाती
होइये मोन मे कलेश रे ...........चन्दा...... ।

हम्मर दुःख केयो ने बुझैया
कोना ओ रहै छथि केयो ने कहैया
कहियौन्ह विकल छैन्ह हुनकर दासी हुनकर दासी
रुसल किए छथि महेश रे ...........चन्दा....... ।

-लल्लन प्रसाद ठाकुर- 

No comments: