Tuesday, January 19, 2010

नेना भुटकाक लेल गीत

" नेना भुटकाक लेल गीत "

छुक छुक छुक छुक छुक छुक छुक छुक छुक छुक
रेल चलैया ....पू .......पू ...........
गार्ड के हरियर झंडी , इंजिन सं पू सीटी बजैया
छुक छुक ...........................

धक्कम धुक्की ,रेलम पेला
टीसन पर लागल छे मेला
सेब लिय अनार लिय
लs लिय बाबू केरा .......
हे .......छुक छुक ................

इ मद्रासी इल्ले पिल्लै
बंगाली बाबू मोशाय
पंजाबी की गल्ल है
मैथिल के पूछू यौ पूछू
आब कहु मोन केहेन लगैया
आगू पाछू लाईट जरैया
पूर्वा पछवा हवा बहैया
आब कहु ...............
सब अपना के गुरु बुझै छथि
केकरा कहबय चेला ...
हे...........छुक छुक ....

3 comments:

कुमार राधारमण said...

सुंदर प्रयास। नेना-भुटका पर कम्मे काज भेल छैक आ एहि दिशा में बड्ड संभावना छैक। आगुओ प्रयासरत रहब,से अपेक्षा।

Pushpendra Singh "Pushp" said...

लल्लन जी
बहुत ही मधुर भाव लिए सुन्दर गीत
बहुत बहुत आभार

Anonymous said...

very nice ..very nice ..so nice chuk chuk nice ...beta bole khilawo Ice :)

satya prakash mishra